पटना : काल्हि मंगलदिन ऑल इंडिया रोड ट्रांसपोर्ट वर्कर्स फेडरेशन द्वारा कयल गेल चक्काजामक असैर समूचा देश समेत बिहारकेँ राजधानी पटना संगहि आसपास केर कतेको जिलामे देखल गेल। समूचा जिलामे जरूरी सेवा हेतु छोरि बाँकी सभ गाड़ी केर परिचालन पर रोक लगाओल गेल छल। अहि चक्काजामके कारण रास्ता चलनिहार यात्री लोकनिकेँ बहुतरास दिक्कतक सामना करै पड़लनि। ट्रांसपोर्ट वर्कर्स फेडरेशन द्वारा पेट्रोल-डीजलक बढ़ैत दाम पर लगाम लगाओल जाय संगहि पेट्रोलियम पदार्थ केँ सेहो जीएसटीमे जोड़बाक सन दू टा माँग छल संगहि परिवहन सुरक्षा अधिनियम 2017 केँ वापस लेल जाय।
फेडरेशन केर माँग छैक जे पथ परिवहन एवं सुरक्षा संशोधित विधेयक कॉरपोरेट संस्थान केँ ध्यानमे राखिकय बनाओल गेल छैक, ताहि हेतु अहि विधेयक केर केंद्र द्वारा तुरंत वापिस लेबाक चाही, सरकार लाइसेंस समेत आरओ बहुतरास शुल्कमे उम्मीदसँ बेसी बढ़ोतरी कयलनि अछि। गाड़ी फिटनेसमे 50 टाकाक प्रतिदिन दंडशुल्क कय देल गेल छैक जे कि गलत छैक। सरकार जौं हमरा लोकनिक माँग नहि सुनताह तs अनिश्चितकालीन हड़ताल करब।
विदित हो जे रोड ट्रांसपोर्ट वर्कर्स फेडरेशन केँ चक्काजामक कारण यात्री लोकनिकेँ भारी परेशानी भेलनि। लोककेँ शहरमे कतहु जेबाक वास्ते बस, ऑटो आदि नहि भेट रहल छलनि। पटना स्थित मीठापुर बस पड़ाव सँ बस नहि खुलैत छल। यात्री लोकनिकेँ कहनाम छलनि जे 2 सँ 3 घंटा धरि इन्तजारके बादो बस नहि आबैत छल। अहि हड़ताल केँ कारण यातायात व्यवस्था पूरा तरहें चरमरा गेल छल।