मधुबनी : 12 जुलाई केँ मधुबनीक बालिका गृहसँ लापता लड़की सभकेर मामलामे नगर थाना क्षेत्रक पुलिस एकटा महिलाकेँ सकरी सँ गिरफ्तार कयलनि अछि। उक्त महिला लखनौर थाना क्षेत्रके गंगापुर गामक पवन यादव केर कनिया शोभा देवी छथि। शोभा देवी मधुबनी जिलाके बालिका गृहक रक्षिका केर तौर पर कार्यरत छलीह।
एसपी दीपक वरनवाल कहलनि अछि जे ओहि बालिका गृहसँ लड़की सभकेँ भगेबामे शोभा देवी केर हाथ अछि वा नहि अहि बातक पुरा सच्चाई मामलाके जाँच भेलाक बादे पता लागि सकत। पुलिस एखन मात्र शक केँ आधार पर शोभा केर गिरफ्तार कयलक अछि। पुलिस केँ शोभा देवी पर शक ओहिदिन सँ होमए लागल छल जाहिदिन मधुबनी बालिका गृह सँ लड़की सभकेँ भगेबाक घटना उजागर भेल छल। जनतब हो जे शोभा देवी सेहो ओहिदिन सँ फरार छलीह।
उक्त घटनाक्रमक मादे पुलिस जखन शोभा देवी केर फोन कयलनि तs ओ दिल्लीमे होबाक सूचना देलीह मुदा पुलिसके भनक छल जे शोभा झूठ बाजि रहल अछि आ ओहिदिन ओ सकरीमे केकरो संग भेंट करबाक हेतु आबि रहलीह अछि। बस पुलिस अहि शक केर आधार पर पहल करैत सकरी सँ गृह रक्षिका शोभा देवी केँ गिरफ्तार कय लेलनि। प्रशासन बतौलनि अछि जे लापता लड़की सभकेँ तकबाक हेतु एसआइटी टिमक गठन कयल गेल अछि आओर हमसभ शीघ्रहिं सफलता हासिल करब।