जगवन, मधुबनी (रिपोर्ट : मनोज यादव) : बिहारकेँ मधुबनी जिलाक जगवन पश्चिम पंचायत केर जगवन गाममे एकटा एहन हास्यास्पद आ विचारणीय दृश्य देखाओल अछि जाहिसँ एतहि केर खस्ताहाल शिक्षा व्यवस्था पर सवालिया निशान लागब स्वाभाविक अछि। जनतब हो जे जगवन गामके प्राथमिक विद्यालयमे प्रधानाध्यापिका रंजू देवी अपन टेबुल पर सुतल देखल गेलीह अछि। जाहिसमय विद्यालयमे धियापुता केँ पढेबाक हो ओहिसमय अध्यापिका केँ अहितरहें सुतब समूचा बिहारक शिक्षा व्यवस्था पर प्रश्नचिन्ह ठार करैत अछि। विद्या केँ मंदिरमे हिनकर ई कृत्य हास्यास्पद संगहि विचारणीय सेहो लागैत अछि। ओनहैंतो बिहार पहिनइये सँ अपन लचर शिक्षा व्यवस्थाके कारण सोशल मीडिया सँ समाचार चैनल आ पत्रिका धरि खूब चर्चामे रहैत अछि आ अहितरहक दृश्यसँ कलंकित भेनाय स्वाभाविके अछि।
एकर अलावा प्राथमिक विद्यालय जगवनमे मध्याह्न भोजनक नामपर धियापुताकेँ मात्र दालि आओर भात परोसल जाएत छन्हि। जखन कि बिहार सरकार द्वारा समस्त मध्य आ प्राथमिक विद्यालयमे मध्याह्न भोजनक मेनू कार्ड पहिनइये सँ जारी कयल गेल छैक, तखन मात्र दालि आ भात परोसब सेहो संदेहास्पद अछि। राज्य सरकार द्वारा लाखों खर्च कयलाक बाद अहितरहक स्थिति प्रायः विभिन्न जगहक विद्यालयमे बहुतोबेर देखल गेलैक अछि।

चिन्ताक गप ई जे जाहि स्कूलमे पढ़ाई केँ नामपर अहितरहक दृश्य हो ओहि स्कूलमे धियापुताक भविष्य कतेक उज्वल व शैक्षणिक हेतैक तकर अंदाजा लगाओल जा सकैय।