अल्पावास गृह व “यौन शोषणक केंद्र” ! मुजफ्फरपुर, छपरा के बाद अब हाजीपुर मे सेहो ।



हाजीपुर:बिहारक सब अल्पावास गृह में लगातार नाबालिग लड़की के साथ दुष्कर्म और यौन शोषणक घटना सामने आइब रहल अछि। मुजफ्फरपुर और छपरा केर बाद अब हाजीपुर अल्पावास गृहक लड़की सेहो यौन शोषण केर आरोप लगेला यै। लड़की सब जिला परियोजना प्रबंधक पदाधिकारी मनमोहन प्रसाद सिंह पर यौन उत्पीड़न केर आरोप लगौउला यै। यी घटना नगर थाना क्षेत्रक बाग दुल्हन मोहल्ला के अछि। यी घटना के देखक त ऐहेन लगैत अछि कि अल्पावास गृह न भ क“यौन शोषण केंद्र” होय।

लड़की सबहक आरोप अछि कि जांच केर नाम पर डीपीओ मनमोहन प्रसाद सिंह अल्पावास गृह आइब क लड़की सबके साथ अश्लील हरकत करैय छेलैथ,और मुंह खोलैय पर उक्त लड़की के जान स मारबाक धमकी देल जाइ छल। पीड़ित लड़की एत तक कहलैथ की मना करैय पर उ एगो लड़की के कपड़ा सेहो फाइड़ देलैथ। लड़की सबके कहब अछि की आरोपीत अधिकारी अकेला कमरा में आबैत छेलैथ और हाथ पैर दबाबैय केर लेल दबाव बनाबैत छेलैथ ओर फेर अश्लील हरकत करैत छेलैथ।

अल्पावास गृहक संचालिका करूणा कुमारी के कहब अछि कि जांच केर नाम पर अधिकारी सब स्टाफ के नीचा रहबाक आदेश दैत छल और अल्पावास गृहक ऊपर केर कमरा में जांचक नाम पर अकेला चैल जाइत छल। लड़की सबहक आरोप अछि कि यी कारनामा लंबा समय स चैल रहल छल, मुदा जखन सरकारक ओर स एही अल्पावास गृह केर समस्तीपुर तबादला करैय के आदेश ऐल त ओहिके बाद लड़की अधिकारी सबके खिलाफ भड़ैक गेल और अल्पावास गृहक काला सच के उजागर क देलैथ।

गौरतलब अछि कि PMCH केर चिकित्सक केर टीम मुजफ्फरपुर केर रिमांड होम में 7 बरखक बच्ची सहित 29 गो नाबलीग केर साथ रेपक पुष्टि कैल गेल हन। जेहिके रिपोर्ट शुक्र दिन क ही मुजफ्फरपुर पुलिस केर भेज देल गेल अछि।