घर बैसल टका कमेबाक लोभ देखा लाखों रूपैयाक ठगी केनिहार कम्पनीकेँ विरोधमे छात्र सभ कयलनि बवाल

दरभंगा: घर बैसल रोजगारक नामपर छात्र सभसँ लाखों टका ठकबाक एकटा मामला सोझाँ आयल अछि। पीड़ित छात्र लोकनि शनिदिन कोतवाली ओपी केर नजदीक रोड जामकय प्रदर्शन कयलनि। आक्रोशित भेल छात्र रोड पर टाइर जरा दोषीके गिरफ्तार करबाक माँग कय रहल छलाह। एक घंटा धरि लहेरियासराय-दरभंगा रोड जाम रहलाह सँ आम लोकके सेहो बहुतरास दिक्कत केर सामना करै पड़लनि। तमशायल छात्र सभकेँ कहब छलनि जे कोतवाली ओपी सँ 25 फीट केँ दूरी पर 'व‌र्ल्ड बुक आर्गनाइजेशन' नामक एकगोट फर्जी संस्थाक कार्यालय खोलि आठ हजारसँ बेसी छात्र सभकेँ चूना लगाओल गेलैक अछि मुदा एहिबातक भनक पुलिस केर नहि लगलनि। 

किछु तमशायल छात्र सभ तोड़-फोड़ करबाक सेहो कोशिश कयलनि। मौका पर ओपी प्रभारी उदय शंकर आक्रोशित भेल छात्र सभकेँ खूब बुझेबाक यत्न कयलथि। मुदा उग्र छात्र लोकनि बात मानबाक लेल तैयार नहि छलाह। सूचना भेटैत उक्त स्थान पर पहुँचल लहेरियासराय थानाध्यक्ष आरके शर्मा, दंगा नियंत्रण दस्ता व महिला पुलिस बलक टीमके सेहो छात्रक आक्रोशकेँ सामना करै पड़लनि। तथापि, बड्ड  मान-मनौव्वल केर बाद उक्त संस्था पर प्राथमिकी दर्ज करबाक आश्वासन भेटला पर आंदोलन करबाक लेल बाध्य भेल छात्र जाम हटाबैक लेल राजी भेल। एहितरहक घटनाके देखैत एसएसपी मनोज कुमार सब थानाध्यक्षकेँ फर्जी संस्था पर सख्त नजैर रखबाक निर्देश देलनि। 

एमएसयू कार्यकर्ता केर संग पीड़ित छात्र सभ एसएसपी सँ शिकायत कयलनि जाहिमे एमएसयूकेँ विश्वविद्यालय अध्यक्ष अमन सक्सेना, प्रवक्ता जय प्रकाश झा, संगठन मंत्री अविनाश भारद्वाजक नेतृत्वमे उक्त स्थान पर नरेंद्र कुमार, शिवेंद्र वत्स, गणपति मिश्रा, मनीष पांडेय आदि कार्यकर्ता उपस्थित छलाह। एसएसपी मनोज कुमार अहि मामला पर तुरंत कारवाई करबाक आश्वासन दैत कहलनि जे प्राथमिकी दर्ज कयल जा रहल अछि आ यथाशीघ्र ओहि फर्जी कम्पनी संग जुड़ल लोककेँ गिरफ्तारी कयल जायत।