दरभंगा :[मणिभूषण राजू] भारतक भाषा संस्थान, मैसूर (उच्च शिक्षा विभाग, मानव संसाधन विकास मंत्रालय, भारत सरकार) केर स्वर्ण जयंती प्रशिक्षण श्रृंखलाक अन्तर्गत मिथिलाक्षर(तिरहुता) एवं कैथी लिपि केर "राष्ट्रीय प्रशिक्षण सह कार्यशाला" केर आयोजन दिनांक 21 जुलाई स 27 जुलाई 2018 तक महाराजा महेश ठाकुर महाविद्यालय सभागार, दरभंगा में "मैथिल साहित्य संस्थान, पटना" आ "इन्टेक, दरभंगा" केर सहयोग स आयोजित कैल जा रहल अछि।
कार्यक्रमक पहिल दिन उद्घाटन समारोह में कार्यक्रमक अध्यक्ष श्री रत्नेश्वर मिश्र, विशिष्ट अतिथि डा. डी. जी. राव (निदेशक, CIIL, Mysore), अतिथि डा. नारायण कुमार चौधरी (सहायक निदेशक, CIIL Mysore),कार्यक्रम समन्वयक श्री भैरव लाल दास, संयोजक श्री शिवकुमार मिश्र जी संग केको विशिष्टगण के उपस्थिति में दू सौ स बेसी छात्रगण संग चालू भेल।
स्वागत भाषण डा. नारायण कुमार चौधरी (पोखराम, दरभंगा) संगहि CIIL केर समस्त योजनाक संक्षिप्त विवरण डा. डी. जी. राव केर द्वारा देल गेल। श्री बैद्यनाथ चौधरी बैजू द्वारा अभिभावकीय उद्बोधन में ललित नारायण मिश्रा विश्वविद्यालय (LNMU) में मिथिलाक्षर केर पढ़ाई चालू होबाक जानकारी देल गेल संगहि एहि तरहक आयोजन में सदैव अप्पन सहयोग लेल प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन। अपन अध्यक्षीय
कार्यक्रम में उपस्थित अन्य अतिथिगण में पं. भीमनाथ झा, डा. अयोध्या नाथ झा, डा. विभूति आनंद, वैद्य गणपति नाथ झा, संगहि अन्य गणमान्य लोक उपस्थिति छेला।
एहि प्रशिक्षण शिविर में कैथी लिपि केर प्रशिक्षक छथि श्री विजय शंकर मल्लिक आ मिथिलाक्षर केर प्रशिक्षक छथि श्री भवनाथ झा।