दिनदहारे पत्रकार केर घर मे भेल चोरी।




दरभंगा।[प्रणव चौधरी] लहेरियासराय थाना क्षेत्रक केएम टैंक मोहल्ला मे रहैय बला पत्रकार विनय कुमार केर घर मे  रवि दिन क दिनदहाड़े चोर सब घर में घुइस क लाख रूपया केर संपति के चोरी क ल गेल। पीड़ित पत्रकार कहलैथ कि उ कोनो काम के ल क बाहर गेल छेलैथ। एही बीच चोर सब घर केर पीछुलका दरवाजा केर तोइड़क अंदर घुइस क गेल और आराम स चोरी के घटना के अंजाम देलैथ। गृहस्वामी केर मुताबिक, चोर सब घर में राखल दस भैर सोना केर बनल आभूषण, करीब सौ भैर चांदी और एक लाख रुपया नकद के चोरी क लेलक। उ कहलैथ कि हुनक बहिन केर ऑपरेशन तीन दिन बाद होबैय बला छल। एहीके लेल उ बैंक स एक लाख रुपया निकालने छेलैथ। घटनाक सूचना मिलैय पर लहेरियासराय थाना पुलिस घटनास्थल के मुआयना केलैथ। पुलिस पीछा केर दरवाजा के पास स सेट¨रग में प्रयोग होबैय बला प्लाई के बरामद केलैथ। ओतैय पुलिस ओही मोहल्ला में लागल सीसीटीवी फुटेज मे सेहो खोजलैथ।