बिहार में "बेटी पढ़ाउ बेटी बचाउ" नारा भेल खोखला।



दरभंगा ।[प्रणव चौधरी] मुजफ्फरपुर बालिका गृहक कांडक खिलाफ वामपंथी छात्र संगठन शनि दिन क प्रतिवाद मार्च निकालैथ। वामपंथी छात्र संगठन एआईएसएफ, आइसा, एआईडीएसओ  विश्वविद्यालय चौरंगी स्थित बाबा साहब भीमराव अंबेडकर केऋ स्मारक स भोगेंद्र झा चौराहा तक प्रतिवाद मार्च निकालैथ। एही मार्च क दौरान छात्र सब मुजफ्फरपुर बालिका गृह रेप कांडक रिपोर्ट केर सार्वजनिक करैय, दोषी मंत्री केर पति के अविलंब फांसी देल जाए एवं बिहार में दिन-प्रतिदिन बैढ़ रहल छेड़छाड़ और दुष्कर्मक घटना पर अविलंब रोक लगेबाक मांग क रहल छेलैथ। मार्च केर दौरान आक्रोशित भेल छात्र-छात्रा केंद्र सरकार और राज्य सरकार केर खिलाफ जैम क नराबाजी सेहो क रहल छल।यी मार्च केर नेतृत्व एआईएसएफ के छात्र नेता राजा कुमार, आईसा केर विशाल मांझी, एआईडीएसओ केर ललित कुमार झा संयुक्त रूप स क रहल छल। एही घटनाक विरोध में 2 अगस्त क बिहार बंद केर आह्वान कैल गेल। ओतैय मार्चक उपरांत भोगेंद्र झा चौराहा पर एआईडीएसओ केर राज्य उपाध्यक्ष लाल कुमार व एआईएसएफ केर जिला अध्यक्ष शशिरंजन के अध्यक्षता में सभा भेल। एआईएसएफ केर जिला सचिव शरद कुमार ¨सह कहलैथ कि जिलाक केर अंदर लगातार छात्रा सबहक  साथ रेप, दु‌र्व्यवहार बढ़ैत जा रहल अछि। एत तक कि आब एही में सरकारक सेहो निश्चित रूप स हाथ देखाइ रहल अछि। सरकार केर "बेटी पढ़ाउ बेटी बचाउ नारा खोखला भ गेल अछि। राज्य सह-सचिव संदीप कुमार चौधरी कहलैथ कि सरकार लगातार छात्रा और महिला विरोधी काज क रहल छैथ। एआईएसएफ केर पूर्व छात्र नेता डॉ. एमआइ जावेद, अवनीश कुमार, सुधीर कुमार, सुजीत कुमार पासवान, जितेंद्र कुमार साहु, रोशन कुमार मुखिया, आदर्श कांत, आईसा के छात्र नेता अफजल अली, सौरभ मिश्रा, पंकज पासवान, निखिल कुमार, राजू वर्मा, एआईडीएसओ केर विजय कुमार मंडल समेत दर्जन भैर छात्र नेता सब उपस्थित छेलैथ।