MSU के हायाघाटक टिम अशोक पेपड़ मील केर चालू करेबाक लेल आवाज बुलंद केलक।


    दरभंगाः [प्रणव चौधरी]काइल दिनांक - 10.06.2018 क मिथिला स्टूडेट यूनियनक हायाघाटक इकाई केर ओर स विकासहिन बिहार सरकारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर पुतला दहन व सरकारक खिलाफ जबरदस्त प्रदर्शन कैल गेल ।
पुतला दहन मिथिला में बंद पड़ल उद्योग-धंधा जेना अशोक पेपर मिल के पुनः चालू करेबाक ल क कैल गेल छल।एही पुतला दहनक कार्यक्रम में सलाहकार समिति केर सदस्य कृष्णकांत चौधरी उर्फ रमण जी आयोजित सभा के संबोधित करैत वर्तमान राज्य व केंद्र सरकार पर जैम क बरसलैथ और उ कहलैथ कि सरकार मिथिला के  सस्ता मजदूरक जोन बनेने छैथ। और जाइन बूइझक एही क्षेत्र के अविकसित करबाक सरकारक नीति अछि ।

ओतैय वक्ता केर कहब अछि जे कि अशोक पेपर मिल के चालू करेबाक हेतु सरकारक उदासीनता केर खिलाफ जनसमुदाय के जागरूक करबाक व हुनक अप्पश अधिकार - हक के बतेबाक लेल लगातार संगठित होबाक प्रयास जारी अछि । अगर एही क्षेत्रक आम-आवामक बात सरकार नैय सुनत त एगो पैघ जनआक्रोश व जनांदोलनक तैयारी मिथिला स्टूडेंट यूनियन क रहल छैथ।एही कार्यक्रम में विकास चौधरी , राज चौधरी ,अभिजीत कुमार , पंकज झा,दिपक झा,भोला राम,दिलीप राम प्रन्वेश मिश्रा ,मनिकांत झा, विमल मैथिल,गोपाल चौधरी,सहित दर्जन भैर कार्यकर्ता उपस्थित छेलैथ।