एसएसपी केर नेतृत्व में दरभंगा जेल में कैल गेल छापेमारी, मोबाइल भेल बरामद।





दरभंगा:[प्रणव चौधरी] बुध दिनक अगला सुबह एसएसपी मनोज कुमार केर नेतृत्व में पुलिस ओर प्रशाशनिक अधिकारी मिल क दरभंगा मंडल कारा में छापामारी केलैथ। एहघ दौरान ओही जेल स एगो मोबाइल के साथ साथ कैको आपत्तिजनक समान सेहो बरामद कैल गेल अछि। जेलक अंदर मिलल मोबाइल के खोजबीन कैल जा रहल अछि। एही बरामदगी के  ल क लहेरियासराय थाना में एफआईआर दर्ज कराओल गेल अछि। एसएसपी भोर मे करीब पांच बजे सदर एसडीओ राजेश गुप्ता, सदर एसडीपीओ अनोज कुमार, विवि, नगर और लहेरियासराय थानाध्यक्षक साथ जेल गेट पहुंचलैथ। जेल अधीक्षक केर उपस्थीती में सब वार्डक तलाशी शुरू कैल गेल। एही दौरान वार्ड नंबर 9 केर पीछा स एगो मोबाइल बरामद कैल गेल। अंदेशा अछि कि छापामारी के भनक मिलैत मोबाइल धारक कैदी अप्पन मोबाइल के वार्डक पीछा फेंक देलैथ।