मैथिली के द्वितीय राज्य भाषाक दर्जा दिएबाक लेल संकल्प सम्मेलन के कैल गेल आयोजन।




दरभंगा:[प्रणव चौधरी] रवि दिनक मैथिली के द्वितीय राज्य भाषाक दर्जा दिएबाक लेल मिथिला विकास संघक बैनर पर एगो स्थानीय होटल सभागार में संकल्प सम्मेलन केर आयोजन कैल गेल।एही कार्यक्रमक शुरुआत मुख्य अतिथि दरभंगा केर सांसद कीर्ति आजाद  दीप जरा क केलैथ।कीर्ति आजाद ओही सभा के संबोधन करैत कहलैथ जे मैथिली भाषा के लेल कैल जा रहल संकल्प सम्मेलन में हर संभव मदद देबाक बात कहलैथ ओर साथ मे जमानत जब्त नेता और मोदी केर चर्चा करैय में भी तनिक संकोच नैय केलैथ। मिथिला-मैथिली केर विकासक सम्बंध में फोटौ खिंचा क सोशल मीडिया में डालकर झूठक श्रेय लेबैय में महारत हासिल अछि। ओतैय अतिथि केर रूप में अप्पन संबोधन में चर्चित युवा नेता बालेंदु झा कहलैथ कि मिथिला-मिथिला के विकासक लेल मिथिला विकास संघ हमेशा तत्पर रहैत अछि और एहिके लेल सब के सम्मिलित प्रयास मिल क करनाई हैत। अतिथि केर रूप में अंबर इमाम हाशमी, राम नारायण झा , डॉ सत्यनारायण पासवान, अनील झा सेहो अप्पन संबोधन मे माँग के जायज ठहराबैत संगठन केर सराहना केलैथ।स्वागत संघ केर संयोजक सुजीत आचार्य, अध्यक्षता प्रो उदय शंकर मिश्र और संचालन भारतेंद्र सिंह केलैथ। एही कार्यक्रम मे मृत्युंजय मृणाल ,रौशन मैथिल, विभूती झा , चंद्रशेखर झा, कमलेश उपाध्याय ओर कार्यकर्ता सबक अहम भूमिका रहल ।