दरभंगा[अनुपम झा]काइल तारीख 18.6.2018 क ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय(LNMU) दरभंगा केर कुलपति महोदयाक मिथिला स्टूडेंट यूनियनक(MSU)केर महिलाविंगक पूर्व जिलाध्यक्ष दरभंगा व बिहार प्रदेशक कार्यकारिणी केर सदस्य सोनाली कश्यप व वर्तमान महिलाविंगक बिहार प्रदेश कार्यकारिणी केर सदस्य कुमारी नीतू के द्वारा एही विश्वविद्यालय के अंतर्गत आबैय बला सब कॉलेज में छात्रा के लेल Menstrual Hygiene मुहिमक तहत उपलब्ध करा क मुफ्त वितरण करबाक संदर्भ में एगो लिखित आवेदन देलैथ।
(LNMU)केर कुलपति द्वारा एहीके उत्कृष्ट कदम बताओल गेल ओर आश्वाशन देल गेल जे कि यथाशीघ् इही पर पहल क एही स संबंधित विभाग में संपर्क क एहीके व्यवस्था सुनिश्चित कैल जैत।
एही स पहिले सेहो मिथिला स्टुडेंट यूनियनक (MSU) संगठन के महिलाविंगक मधुबनी जिलाक अध्यक्ष सपना झा द्वारा सेहो J.M.D.P.L महिला कॉलेजक प्रध्यानापक के सेहो एही कॉलेज में छात्रा के लेल
सेनिटरी पैड उपलब्ध करा क मुफ्त वितरण करबाक माँग केर संबंध में लिखित आवेदन देल गेल छल।