मधुबनी[प्रकाश कमती]:- स्टूडेंट यूनियन केर सेनानी सभ राजनगर स्थित किलाकेँ पर्यटनस्थल घोषित करबाक लेल राजनगर प्रखण्डमे प्रखंड अध्यक्ष रमेश पासवान केर नेतृत्वमे एकदिवसीय धरना प्रदर्शन कएलक। सेनानी सभ एकजुट भए अहि ऐतिहासिक किलाकेँ पर्यटनस्थल घोषित करबाक हेतु सरकारसँ माँग कएलक। डीएम सहित विधायक केर ज्ञापन सेहो देल गेल। जिलाधिकारी अहि मामला केँ संज्ञानमे लैत राजनगर पर्यटनस्थल केर खबैर सरकार धरि पहुँचेबाक गप कहलनि। ओतहि राजनगर विधायक रामप्रीत पासवान केँ सेनानी सभ उक्त किला पर चलबाक लेल कहलनि जेकरा विधायक सहर्ष मानैत सेनानीक संग ओतहि पहुँचलाह। जेतहि राजनगर अध्यक्ष रमेश पासवान हुनका ज्ञापन देलकैन। विधायक कहलनि जे ओ सरकारसँ अहिमादे दू बेर पहिने सेहो प्रश्न कय चुकल छथि। ओ सदैव अहि मुद्दाक वास्ते प्रयासरत रहैत छथि जे उक्त किला शीघ्र पर्यटनस्थल केँ रूपमे शामिल होई। अध्यक्षता राष्ट्रीय संगठनमंत्री अविनाश भारद्वाज आ समापन जिलाध्यक्ष शशि अजय झा द्वारा कएल गेल। उक्त अवसर पर नगर अध्यक्ष विजय घनश्याम, राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सुजीत कुमार यादव, पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष अनूप कुमार मैथिल, बिहार प्रभारी प्रियरंजन आओर महासचिव प्रवेश झा, प्रवक्ता विजय श्री टुन्ना, सुमित सिंह, मयंक विश्वास, मनीष कुमार, अमनजीत सिंह, अंकित झा संग देवन यादव उपस्थित छलाह।