मिथिलाक धिया "कल्पना कुमारी" नीट (NEET) 2018 केर परीक्षा में ऑल इंडिया में पहिल रैंक हासिल केलैथ।





शिवहर:[प्रणव चौधरी] बिहार राज्यक रहैय बाली कल्पना कुमारी जे नीट (NEET) 2018 केर परीक्षा में ऑल इंडिया में पहिल स्थान हासिल क मिथिला के नाम रौषन केलैथ हन। कल्पना केर 99.99% फीसदी पर्सेंटाइल एल अछि और हुनका 720 में स 691 अंक मिलल हन। शिवहर जिलाक रहैय बाली कल्पना नीट के तैयारी करबाक लेल दिल्ली जेबाक फैसला केलैथ।मिथिला दैनिक स बातचीत करबाट द्रव्यमान कल्पना कहलैथ जे कि हम बचपन स मेहनती छी और अप्पन एही लक्ष्य प्राप्त करबाक लेल हम सब दिन बारह स तेरह घंटा तक पढ़ाई करैत छेलू। NCERT  केर किताब के कल्पना बहुत ध्यान स पढ़लैद और साथ मे अप्पन कोचिंग केर मटेरियल स पढाई केलैथ। कल्पना मॉक टेस्टक तैयारी के लेल बहुत जरूरी मानैत अछि, और हुनक यी  माननाई अछि की सब छात्र छात्रा के टेस्ट दैत रहबाक चाही, ताकि बच्चा अप्पन परफॉरमेंस क नैप सकैय और गलती के नैय दोहराए।