दरभंगा[प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा में रवि दिनक दिन खून स लथपथ भ गेल। तेज गति स बसक सामने अचानक एगो बाइक आइब गेल।
ओही बाइक के बचेबाक क्रम में बसक संतुलन बिगैर गेल और उ 10 फीट नीचा गड्ढ़ा में जाक गिरल। देखैत-देखैत घटनास्थल पर चीख-पुकारक खलबली मैच गेल। जखन तक स्थानीय लोग यात्री के बाहर निकैलतैथ, ताबे धैर दू गोटाक मौत भ चुकल छल। बाद में इलाजक दौरान एगो और यात्री केर मौत भ गेल।यी दुर्घटना बिहार राज्यक दरभंगा जिलाक बहेड़ी-बहेड़ा पथ पर शंकर लोहार चौकक पास रविवार के दुपहर में भेल।
प्राप्त जानकारी केर मुताबिक बिरौल प्रखंडक शाहपुर स लहेरियासराय जा रहल एगो बस शंकर लोहार चौकक नजदीक गड्ढ़ा में पलैट गेल। बस केर सामने अचानक एगो बाइक आइब गेल, बाइक बला के बचेबाक क्रम में चालक अप्पन संतुलन खो देलैथ और यी हादसा भ गेल।
शोरगुल सुइनक पहुंचल आसपासक लोग सब बस के शीशा तोइड़क यात्री सबके बाहर निकलैथ। मूदा,एहिके पहिले मौका पर ही दु गोटाक मौत भ गेल छल। मृतक में एगो केर पहचान मो. लड्डू (35) के रूप में कैल गेल अछि, जखन कि दोसरक पहचान अखन तक नैय भ सकल हन। दुर्घटना में घायल भेल बसक संवाहक मुकेश मंडल (40) के सेहो इलाजक दौरान प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र में मौत भ गेल। ओतैय अन्य एगो के डीएमसीएच ल जाय समय रास्ता में भ दम तोइड़ देदैथ। हालांकि पुलिस मौका पर पहुंचक घायल सबके अस्पताल में भर्ती करेलैथ यै।
दुर्घटना में करीब तीन दर्जन यात्री घायल भेलैथ यै, जेहिमे तीन गोटाक हालत नाजुक अछि। बताओल जा रहल अछि कि बस ओवरलोड छल।जेहिमे करीब सौ लोग सवार छेलैथ। ओतैय एसएसपी घटनाक पुष्टि करैत कहलैथ कि मरैय बला और घायल स्थानीय लोग सब छैथ।