दरभंगा :[प्रणव चौधरी] शुक्र दिन क दरभंगा जिलाक अशोक पेपर मिल थाना क्षेत्रक पतोर ओपी रघुनाथपुर गांव में दिन दुपहरिया गोली केर आवाज स सनसनी फैल गेल। बताओल जा रहल अछि कि तकरीबन 10 राउंड गोली चलाओल गेल।ओही जगह स पुलिस गोली के खोखा सेहो बरामद केलैथ यै।
प्राप्त जानकारी के मुताबिक रामजानकी मंदिर केर जमीन में मिट्टी काटैय व ब्रह्मस्थानक जमीन में पिलर गाड़बाक विवाद के ल क आधा दर्जन मोटरसाइकिल सवार दबंग सब हवाई फायरिंग केलक।एही जमीनक विवाद में दु पक्ष में पहिले खूब माइरपीट भेल और ओहिके बाद एक पक्षक तरफ स अप्पन वर्चस्व बनेबाक लेल दोसर पक्ष पर ताबड़तोड़ फायरिंग कैल गेल। एही घटनाक बाद गांव में दहशतक माहौल बैन गेल छल।
मौका पर पतोर ओपी के साथ केको थाना केर पुलिस पहुंचल, जिनका ग्रामीणक आक्रोश सेहो झेल पड़ल। लोग सब पुलिसक खिलाफ जैमक नाराबाजी सेहो केलैथ। पतोर ओपी थाना केर प्रभारी बी राम कहलैथ कि गोलीबारी के सूचना पर हम सब ऐलौ यै।10 राउंड गोली चलैय के बात बताओल गेल हन। पुलिस ओही जगह स गोली के खोखा सेहो बरामद केलैथ यै
एही संबंध में ग्रामीण राम रतन पासवान केर बयान पर रघुनाथपुर निवासी कुंदन मिश्र, रमन कुमार मिश्र, सुमन मिश्र समेत ओर चाइर अज्ञातक खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कैल गेल हन।