दरभंगा।[प्रणव कुमार चौधरी] शराबक धंधा करैय बला केर खिलाफ एसएसपी के व्हाट्सएप नंबर 8709161968 एक बेर फेर कमाल क देलक। काइल रात एसएसपी के मोबाइल पर सूचना मिलैत देरी उ लहेरियासराय प्रभारी थानाध्यक्ष धीरज कुमार केर नेतृत्व में टीम गठित क पुलिस के अलर्ट क देलैथ।एहिके बाद पुलिस लहेरियासराय गुदरी बाजार स लगभग छह सौ लीटर शराब बरामद क एगो धंधेबाज के सेहो गिरफ्तार क लेलैथ।
बताओल जाइत अछि कि सूचना मिलैत देरी पुलिस गुदरी बाजार के खंगालना शुरू क देलैथ। पुलिस सबस पहिले मुन्ना खटिक के दुकान में छापेमारी कैल गेल। जतअ हरीयर सब्जी के जगह सिर्फ शराबक बोतल बरामद कैल गेल।एहीके बाद पुलिस हुनक घर पर छापामारी केलक, ओतौउ स भारी मात्रा में शराब बरामद कैल गेल। धंधाबाज के पुलिस के आबैय के भनक भ गेल। शायद यैह वजह छल कि उ पुलिस के चकमा द क निकैल गेल। छत पर एगो शख्स नुकैल छल जिनका गिरफ्तार कैल गेल। एहिके बाद पुलिसक पूछताछ में उ स्वयं के केला विक्रेता बतेलक। मूदा, पुलिस के ओकर बात पर विश्वास नैय भ रहल अछि। गिरफ्त में आओल मो. असगर अली उर्फ मुन्ना समस्तीपुर जिलाक वारिसनगर थाना क्षेत्रक शेखपुरा गांवक निवासी छैथ। उ कहलैथ कि हम ठेला पर केला बेचैय के काम करैत छी। मूदा, हुनकर संबंध मुन्ना खटिक स होबैय के बात कहल गेल अछि। आब पुलिस मुन्ना खटिक के तलाश में अछि। प्राप्त जानकारी के मुताबिक उ राइत स फरार अछि। सदर एसडीपीओ अनोज कुमार कहलैथ कि मुन्ना खटिक के दुकान पर नगर थाना क्षेत्रक शिवाजीनगर मोहल्ला निवासी लाल सहनी शराब मुहैया करेने छेलैथ।
गिरफ्त में आओल असगर अली केला बेचैय के आड़ में मुन्ना खटिक के शराब बेचैत छल। बताओल जाइत अछि कि छापामारी में 180 एमएल के कुल 3230 पीस टेट्रा पैक बरामद कैल गेल। साथ मे बीयर के 24 बोतल सेहो मिलल हन। उ कहलैथ एही धंधा में मुन्ना खटिक, लाल सहनी के अलावा केको लोग सबके नाम एल अछि। जिनका गिरफ्तार करबाक लेल छापेमारी कैल जा रहल अछि।