पटना : बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह आ अश्विनी चौबे सँ इस्तीफा केर माँग कएलनि अछि। मंगलदिन बिहार विधान परिषदमे राबड़ी अहि दुनू केंद्रीय नेता पर आरोप लगबैत कहलनि जे बिहारमे आबिकय दुनूगोटे माहौल खराब करबाक चेष्टा करैत छथि जाहिकेर विरोध आरजेडीकेँ कार्यकर्ता लोकनि लगातार करताह। पूर्व मुख्यमंत्री एतबा पर चुप नहि रहलीह, ओ कहलनि जे एहन केंद्रीय मंत्री केँ बिहारमे घुसै नहि देब। विशेष राजयकेँ विषय पर श्रीमती राबड़ी कहलनि जे विशेष राज्यक दर्जाकेँ माँग आरजेडी पूर्वहिं में कएने अछि मुदा नीतीश कुमार जीकेँ अन्तरात्मा आब जागलनि अछि।
एहिसँ पहिने मंगलदिन बिहार विधानसभा जेनाही विधानपरिषद केर कार्यवाही सेहो खूब हंगामादार रहलैक।
विपक्ष लगातार बीजेपी केर गिरिराज सिंह आओर अश्विनी चौबे केर गिरफ्तारी आ केंद्रीय मंत्रिमंडलसँ हटेबाक माँग करैत रहलाह। परिषदक बाहर आबिकय आरजेडी कार्यकर्ता आओर सदस्य सभ जमिकय हंगामा सेहो कएलनि।