दरभंगा : भारतके वर्तमान सरकार द्वारा बनाओल गेल ट्रिपल तलाक कानून वापिस लेबाक लेल दरभंगामे मंगलदिन बहुतरास संगठन द्वारा एहतजाजी जुलूस केर आयोजन कएल गेल। अहि आयोजनमे जिलाके दूरदराजसँ संगहि शहरी क्षेत्रक महिला लोकनि सेहो भाग लेलनि।
मोमिन कॉन्फ्रेंसक प्रदेश सचिव शाहिद अतहर बतौलनि जे हमर समूचा टीम इमारत शरिया आ ऑल इंडिया मुस्लिम पर्सनल लॉ बोर्डक बताओल गेल रास्ता पर पूरा बिहारमे काज कए रहल अछि, दरभंगाक ई एहतजाजी जुलूस तारीख साज जुलूस होयत।
आगाँ बतौलनि जे हमर पूरा टीम जाहिमे बिहार राज्य मदरसा शिक्षा बोर्डक पूर्व अध्यक्ष मौलाना एजाज अहमद, राजद केर जिला संयोजक रामचंद्र यादव, भरत यादव, अकलियत जागरण सोसाईटी केर महासचिव डॉ. असरारूलहक लाडले, इंसाफ मंचके राज्य उपाध्यक्ष नेयाज अहमद, जमियतुर राईनके संयोजक डॉ. प्रो. राहत अली, बेदारी कारवाँ केर अध्यक्ष नजरे आलम, जावेद करीम जफर, पप्पू खान, सरवर इमाद्दुदीन, एस.एम. जेया, कारी मो. सईद जफर, मो. अफजल, आमिर कैफ, फतह आलम, सिद्दीकी भारती, अधिवक्ता सफीउर रहमान राईन संग आरओ लोक अहि एहतजाजी जुलूसकेँ सफलताक वास्ते प्रयत्नशील छलाह।