पटना : एनडीए केर संग छोरि हम'के नेता आ बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जीतनराम मांझी आय बुधदिन महागठबंधनकेँ हाथ थामि लेलक। मंगलदिन तेजस्वी यादव माँझीसँ भेंट करबाक लेल पहुँचल जेकरा बाद दुनू नेता बाहर आबिकय एकर घोषणा कएलक।
मांझी कहलनि जे ओ बृहस्पतिदिन महागठबंधनमे शामिल होबाक औपचारिक घोषणा भिनसर 10 बजे करताह। सूत्रसँ भेंटल जानकारी मुताबिक सदनकेँ कार्यवाही शुरू होबएसँ पहिने दुनू नेताकेँ भेंट जीतन राम माँझीक घर पर भs सकैत अछि आ सैह भएबो केलैक। भिनसर 10 बजे तेजस्वी अपन पार्टीके नेता भोला यादव आ भाई वीरेंद्रक संग माँझीके घर पर भेंटबाक लेल पहुँचि गेल। एकर किछुकाल बाद लालुकेँ पैघ बेटा आ पूर्व मंत्री तेजप्रताप यादव सेहो मांझीसँ भेंटबाक लेल घर पर पहुँचल। करीब 45 मिनटकेँ बाद मांझी केर संग तेजस्वी आ तेजप्रताप बाहर आयल तकरा बाद मांझी एनडीए छोड़बाक घोषणा कएलनि। अहिक्रममे तेजस्वी माँझीके पिता तुल्य बतौलनि। मांझी एनडीएमे भs रहल उपेक्षासँ लगातार नाराज चलि रहल छल आ एनडीए छोड़बाक इशारा सेहो कएने छल। मांझी हालहिमे जहानाबाद उपचुनावमे टिकट नहि भेंटबाक कारणसँ अपन नाराजगी देखाबैत चुनाव प्रचार नहि करबाक गप सेहो कहने छलाह। दोसरदिश राजद केँ तरफसँ लगातर माँझीके एनडीए छोरि महागठबंधनमे जुरि जेबाक मौका देल जा रहल छल।
हम केँ प्रवक्ता दानिश रिजवान तेजस्वीकेँ प्रशंसा करैत कहलाह जे तेजस्वी यादव पैघ नेता छथि। माँझीके एनडीएसँ हटलाक बाद बिहारक राजनीति एकबेर फेरसँ गरमा गेलैक अछि। मानल जा रहल छैक जे महागठबंधनमे एलाक बाद राजद माँझीके राज्यसभा पठा सकैत अछि।