पटना। 06 फरवरी। आम तौर पर मिथिला पेंटिंग मे राम-जानकी विवाह, राधा-कृष्ण, काली, दुर्गा, गणेश, शंकर आ आन देवी-देवता सभक छवि बनाओल जायत अछि। मुदा मधुबनी केँ एक महिला कलाकार खादी महोत्सव मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, भाजपा केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष अमित शाह आओर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ अप्पन पेंटिंग मे देवता सभक गोका जगह देलनि अछि।
बिहार राज्य खादी ग्रामोद्योग बोर्ड द्वारा राजधानी पटना केँ ज्ञान भवन मे दस दिवसीय खादी महोत्सव चैल रहल अछि। जाहिमे बेनीपट्टी सँ आयल मिथिला पेंटिंग बनबै बाली एक महिला कलाकार विजय प्रभा पांडेय एक अद्भुत प्रयोग केना अछि। आस्था विकास ट्रस्ट सँ जुडल प्रभा कहलि कि ई सभ नेता गरीब सभक बहुत महत्त्व दैत छथि ताहिलेल हिनका सभकेँ भगवानक दर्जा देना छी। आगा ओ कहलि कि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी हमरा सभकेँ गैस कनेक्शन दियौलनि तेँ ओतहि शराबबंदी, दहेज प्रथा उन्मूलन जेहन मुद्दा पर नीतीश कुमार महिला सभक लेल सराहनीय पहल केलनि अछि। एहिसँ गामक महिला सभमे बहुत उत्साह अछि। ऐहिक लेल मिथिला पेंटिंग मे हुनका सभकेँ जगह देल गेल अछि।