सारण। 08 फरवरी। पढ़बाक प्रति जबरदस्त लगाव एक महिला मे देखबाक लेल भेटल। सारण जिलाक मढौरा मे एक महिला भोर पांच बजे बच्चा क' जन्म देली आओर नौ बजे बच्चा केँ कोरा मे ल' इंटर केँ परीक्षा दिया सेंटर पर पहुंच गेली। महिला केँ देख आता उपस्थित लोग सभ आश्चर्यचकित भ' गेल।
मढ़ौरा पकहां बिंद टोला निवासी बुधन महतो केँ कनिया बबीता प्रसव केँ महज चारि घंटाक बाद नवजात केँ कोरा मे ल' परीक्षा केंद्र पहुंच गेली। हुनका देख ओहिठाम उपस्थित अफसर, स्टेटिक मजिस्ट्रेट आओर शिक्षक सभ आश्चर्यचकित भ' गेला। नवजात ल'केँ परीक्षा देब संभव नहि बुझैत छल। प्रसूता सेहो एखन तकलीफ सँ नहि उबरल छली। सभ हुनकार जुनून सँ प्रभावित छल। केंद्र पर तैनात स्टेटिक मजिस्ट्रेट विनोद कुमार बबीता कुमारी केँ खूब प्रशंसा केलनि। बाद मे नवजात बच्चाक देखभाल लेल हुनकर दादी केँ सेंटर मे प्रवेशक अनुमति देल गेल। ऐहिक बाद महिला परीक्षा देब शुरू केलि।