दरभंगा : व्यवहार न्यायालयकेँ एडीजे-5 रूपेश कुमार दुबेक अदालत कुल 14 आरोपीमे सँ चारि टा आरोपी ऋषि झा, अंचल झा, सुबोध दुबे, टुनटुन झा केँ हत्याकांडमे दोषमुक्त करैत रिहा करबाक आदेश सुनौलक अछि।
ओतहि बाँकी बाँचल 10 टा आरोपी संतोष झा, मुकेश पाठक, अभिषेक झा, मुन्नी देवी, संजय लाल देव, पिंटू लाल देव, निकेश दुबे, पिंटू झा, पिंटू तिवारी आ विकाश झा पर दोषारोपण कएलक अछि।
सजाकेँ फैसला पर अगिला 07 मार्चके सुनवाई कएल जायत। अहि मौका पर 06 अभियुक्तकेँ जेलेसँ वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगके द्वारा दोषारोपण पर फैसला देल गेल अछि, बाँकी बाँचल आरोपी अदालतमे उपस्थित छल।
एहिठाम बता दी जे 26 दिसम्बर 2015 केँ दू टा इंजीनियरक गोली मारिकय हत्या कय देल गेल छलैक। ओहिसमय महागठबंधन केर सरकारकेँ मात्र एक मास बनलाह भेल छलैक। अहि घटनाक बाद सरकार जाँचक लेल एसआईटी केर गठन कएने छल आ दोषीकेँ स्पीडी ट्रायल केँ तहत सजा दिएबाक घोषणा कएने छल।