हेमोफिलिया ग्रसित गीता सँ भेंट करे अस्पताल पहुंचला छातापुर विधायक नीरज कुमार बबलू

सहरसा। 12 फरवरी। हेमोफिलिया ग्रसित गीता आओर हुनकर परिजन सभसँ भेंट करे आओर हुनकर हाल बुझबाक लेल डॉक्टर आईडी सिंह केँ क्लिनिक पहुंचला छातापुर विधायक नीरज कुमार बबलू। ओ एहि मामला मे गीता के परिजन आओर डॉक्टर आईडी सिंह सँ विस्तार पूर्वक बातचीक केलनि। एहि मामला मे विधायक पीड़िता केँ हर संभव मदति करबाक  अस्वासन देलनि। 

डॉक्टर आईडी सेहो गीता केँ मदति करबाक अस्वासन हुनकर परिजन सभकेँ देलनि। डॉक्टर सिंह कहलनि कि ओ गीताक नीक इलाजक लेल पटना ल' जेथिन आओर ओहिठामक मशहूर डॉक्टर प्रभात सँ हुनकर इलाज करेथिन। गीता केँ इलाजक पूरा खर्च ओ खुद उठेबाक लेल तैयार छथि। आगा ओ गीता केँ परिजन सभकेँ कहलनि कि गीता सिर्फ हुनके नहि हमरो बेटी छथि। हम हुनकर इलाज मे हर संभव मदति करब।

अपने क' बता दी कि गीता सौर बाजार केँ तीरी-बराही निवासी शुखदेव शर्मा आओर मनोर देवी केँ पुत्री छथि। गीता के पिता कहलनि कि पछिला सोम दिन गीता केँ देह पर कैको दाना निकैल गेल आओर शारीरक विभिन्न अंग सँ खून निकले लागल जाहिक बाद हुनका इलाजक लेल  अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल। डॉक्टर सभक मुताबिक हुनका हेमोफिलिया नामक रोग अछि।