जरुरत पड़ला पर दू दिन मे तैयार क' देब सेना केँ जवान : संघ प्रमुख मोहन भागवत

मुजफ्फरपुर। 12 फरवरी। अप्पन दौरा केँ आखिरी दिन संघ प्रमुख मोहन भागवत स्वयं सेवक सभकेँ संबोधित केलनि। एहि दौरान ओ कहलनि कि संघ कोनो सैनिक संगठन नहि अछि। मुदा, एहिठाम सेना जोका अनुशासन जरूर अछि। जरुरत पड़ल तेँ दू दिन मे तैयार क' देब सेना केँ जवान। 

अप्पन कार्यक्रमक दौरान भागवत कहलनि कि संघ कोनो सेना नहि अछि मुदा संघ मे सेना जोका आनुशासन रहैत अछि। आगा ओ कहलनि कि सेना क' तैयार होमै मे 6 सँ 7 मासक समय लागैत अछि। मुदा यदि देशक कानून आओर संविधानक अनुमति भेटा तँ दू सँ तीन दिन मे संघक लोग तैयार भ' जायत। देशक विपदाक घरी सेहो स्वयंसेवक हर वक्त सेवा देबाक लेल तैयार रहैत अछि। जखन चीन सँ युद्ध भेल तेँ  सिक्किम सीमा क्षेत्र तेजपुर सँ पुलिस-प्रशासन भागी गेल छल मुदा, ओहि दौरान संघ केँ कार्यकर्ता सीमा पर फोर्सक आबैय तक डटल रहल।