दरअसल, फर्जी नर्सिंग होम केँ अवैध वसूलीक शिकायत सँ तंग भ' जिलाधिकारी जय सिंह स्वास्थ्य विभागक जांच टीम बनेलनि जे जिला मे सभ जगह फर्जी नर्सिंग होमक पड़ताल करत आओर अवैध पाओल गेला पर उचित कार्यवाही करत।
स्वास्थ्य विभागक अधिकारी सभ जेडी नर्सिंग होम, गायत्री नर्सिंग होम आओर दिव्य नर्सिंग होम पर छापामारी केलक। सभ नर्सिंग होम फर्जी तरिका सँ संचालित कायल जे रहल अछि। जेडी नर्सिंग होम मे भर्ती मरीज कहलक कि हुनकर यूटरस केर ऑपरेशन कायल गेल अछि, जाहिमे 20 हजार सँ बेसी खर्च लेल गेल अछि।