एम.एस.यू लेल गीत गएबाक लेल मैथिलीक लोकप्रिय गायिका पूनम मिश्रा पर साधल गेल निशान
दरभंगा। 08 फरवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केँ छात्र संघक चुनाव केँ गहमागहमी जहिना - जहिना बढ़ल जे रहल अछि ओहिना - ओहिना आब कैको नवा मोड़ देखबाक लेल भेट रहल अछि। मिथिलाक भूमि संस्कार आओर शिष्टाचार लेल जानल जायत अछि। मुदा आय एक महिला गायिका किछु लोगक करतूत सँ एहि तरहे छथि कि ओ अप्पन दर्द सोशल मीडिया केर माध्यम सँ बयां केना छथि।
हम बात क' रहल छी मैथिलीक लोकप्रिय गायिका पूनम मिश्रा केँ, जे फेसबुकक माध्यम सँ अप्पन दर्द बयां केना छथि। दरअसल, पूनम मिश्रा हालहि मे मिथिला स्टूडेंट यूनियन केर समर्थन मे एक गीत गेली आओर ओहिकें यूट्यूब पर अपलोड केली।
“पैघ स’ छोट सभ कलाकारक पहिचान जनता स’ होइ छै नै की पार्टी-पाॅलिटिक्स स'। हम कोनो राजनैतिक वा गैर राजनैतिक संगठनक सदस्यता नै लेने छी आ तें एकटा कलाकार होबाक नाते सभ दलक लेल चुनाव प्रचार कर’ आ गीत गाबै लेल पूर्णत: स्वतंत्र छी। हम पहिनहो लोकसभा, विधानसभा ओ पंचायत चुनाव मे विभिन्न राजनीतिक दलक लोक लेल सशर्त चुनाव-प्रचार/गीत गाबि चुकल छी आ आगू सेहो गबैत रहब। MSU केर पदाधिकारी हमरा स’ संपर्क केलाह आ हम हुनका लेल सशर्त गीत रिकाॅर्ड करेलौ आ गेलौ ई कतौ स’ अन्याय नै छै। ज’ अहूं हमरा संपर्क केने रहितौ त’ निसंदेह हम अहूँक संगठन लेल गीत गबितौ।
हमरा स’ पहिने सेहो बहुत रास कलाकार मिथिला स्टुडेंट यूनियन लेल गाबि चुकल छथि मुदा टारगेट मात्र हमरा बनाओल जा रहल अछि किएक त’ हम महिला छी। हम एहि मिथिलाकें सदति स’ अपन घर-आंगन मानैत आएल छी। तखन साजिशक तहत अपन घरक बेटीकें एना बदनाम करबाक कृत्य निंदनीय अछि। जे बिनु अपराध हमरा लेल अपशब्दक प्रयोग क’ रहल अछि ओ अपन मां-बहिन संग दुर्व्यवहार क’ रहलाह अछि। जे दुखद अछि. हमरा लेल सभ बरोबरि छथि हम जाति पूछि अपन शो बूक नै करै छी। तें मोन मे ने जातिगत भावना अछि आ ने एहि सरोकार रखै छी। तखन गायिकी हमर धर्म छी आ एकरा जीवन पर्यंत निमाहैत रहब। जय मिथिला, जय मैथिली”