मुंबई : रैव दिन मैथिली पुनर्जागरण प्रकाश (रजि.) पत्रिका द्वारा चलाओल जा रहल 'मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान' मादे नियोजित सम्मान समारोह हर्षोल्लास संग सम्पन्न भेल। ई आयोजन महाराष्ट्रकेँ कल्याण पश्चिममे भागिरथीनगर स्थित सेंट एकजाइवर्स इंटरनेशनल स्कूलमे सफलतापूर्वक आयोजित कएल गेल। सम्मान समारोहकेँ अध्यक्षता श्री योगानन्द झाजी द्वारा संपादित भेल। विशिष्ट अतिथिमे सेंट एकजाइवर्स इंटरनेशनल स्कूलकेँ चेयर पर्सन श्री बिंदेश्वर झा, समाजसेवी रविन्द्र झा, वसई-विरार महानगरपालिकाकेँ फुलपाड़ासँ नगरसेविका पुतुल रविन्द्र झा, प्रख्यात समाजसेवी एस. सी. मिश्रा, उद्यमी संगहि समाजसेवी ललित झा, मिथिला रत्न दीपक झा, सरोज झा एवं वरिष्ठ पत्रकार मुनीन्द्र झा उपस्थित छलाह। एम्हर महाराष्ट्रकेँ कोना-कोनासँ विशाल जनसमूहक उपस्थिति सेहो देखबा योग्य छल। अनेकानेक समाजसेवी संस्थाक खासकय मैथिल लोकनिक जुटान कार्यक्रमकेँ अलौकिक आ भव्य रूप देबामे अपन कर्तव्यबोध करा रहल छल। महाराष्ट्रकेँ बहुतरास संस्थासँ बहुतरास समाजसेवी लोकनि सेहो अपन उपस्थिति देलनि जाहिमे नवीन झा, विमल कुमार झा, उदिष्ट नारायण झा, धर्मेंद्र झा, तिलक चौधरी, मदन झा, मुम्बई मिथिला स्टूडेंट यूनियन समूह, कुणाल ठाकुर, दहेज मुक्त मिथिलाक राष्ट्रीय अध्यक्ष राजेश राय, नवीमुम्बई मैथिल समाजसँ रवि मंडल छलाह।
अहि कार्यक्रमक प्रारूप आन दोसर सब आयोजनसँ कने हटिकय छल जे दर्शकदीर्घामे चर्चाक विषय बनल।
उपस्थित सभामे मंचसँ मिथिलाक्षर सिखिनाहर व्यक्तित्वकेँ 'मिथिलाक्षर प्रवीण सम्मान' सँ सम्मानित कएल गेल। अहिक्रममे ई सम्मान रंजीत कुमार शर्मा (कलकत्ता ), सगुण कुमार मिश्र "मैथिल", अनिल मिश्र रहिका, राघव मिश्र, अमलेश झा, उग्रेश झा, विशाल कुमार झा, हरिमोहन झा, रंजना झा मिथिलानि, रामेश्वर कुमार, ब्रह्मानंद झा, धर्मेन्द्र झा, अशोक लाल दास आ प्रकाश झा केँ देल गेलनि। एहिठाम स्पष्ट कय दी जे मिथिलाक्षर प्रवीण सम्मान 100 सँ बेसी लोककेँ भेटलनि मुदा दोसर शहरमे रहबाक आ उपस्थित नहि होबाक कारणे सुपुर्द नहि कएल गेलनि जे डाक माध्यमसँ ओहि व्यक्ति धरि पहुँचाओल जायत। दोसर क्रममे 'मार्गदर्शक सम्मान' सेहो देल गेल आ अहि सम्मानसँ जुड़ल नाम रंजीत कुमार शर्मा (कलकत्ता ), सगुण कुमार मिश्र " मैथिल ",अनिल मिश्र रहिका (मुम्बई), राघव मिश्र (दिल्ली), अमलेश झा (नाशिक), उग्रेश झा (कटक), ब्रह्मानंद झा (दिल्ली), रंजना झा (दिल्ली), विशाल कुमार झा (भोपाल), रामेश्वर कुमार (भोपाल), धर्मेन्द्र झा (मुम्बई), प्रकाश झा(मुम्बई), हरिमोहन झा (दिल्ली), अशोक लाल दास अछि। तेसर सम्मान जे देल गेल ओ अछि 'निर्देशक आ निर्देशिका सम्मान', ई सम्मान रंजीत कुमार शर्मा( कलकत्ता), सगुन कुमार मिश्र "मैथिल", अनिल मिश्र रहिका (मुम्बई), राघव मिश्र (दिल्ली), रूनु मिश्र, अमलेश झा (नाशिक) आ अरविन्द्र झा केँ भेटलनि। चारिम आ सबसँ अंतिम सम्मान 'उत्कृष्ट निर्देशक-निर्देशिका सम्मान' सेहो सगुन कुमार मिश्र " मैथिल " आ अनिल मिश्र रहिका केँ भेटलनि।
अन्तमे सांस्कृतिक गीतनादक आयोजन सेहो भेल। मिथिलाक प्रसिद्ध गायक लोकनि जाहिमे मुकुंद मिश्र, श्रवेश झा श्रवण, केशव झा रॉक आ कोमल सोनी उपस्थित श्रोताकेँ अपन-अपन सुमधुर मैथिली गीतसँ मोन हरखित कय देलनि। मंच संचालन नव आ चर्चित उद्घोषक रोशन मिश्रा केँलनि।
उल्लेखनीय अछि जे मैथिली पुनर्जागरण प्रकाश (रजि.) एकटा मैथिली त्रैमासिक पत्रिका अछि जे विगत कतेको बरिखसँ मैथिली भाषाक मृत लिपि केर जीर्णोद्धार लेल प्रयत्नशील अछि। पंडित श्री अजयनाथ शास्त्री केर अगुवाईमे अहि पत्रिकाक माध्यमसँ 'मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान' चलाओल गेल अछि जाहिमे मिथिले नहि बल्कि प्रवासी मैथिल लोकनि सेहो खूब जोर-शोरसँ भाग लएत अपन मातृभाषाक आ अपन लिपि केर जीवित करबामे अपन-अपन भूमिकाक निर्वाह स्वेच्छारूपे कय रहलाह छथि।