पटना : जापान के दौरा पर गेल बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री शिजों आबे स' भेट केएला। प्राप्त सुचना के अनुसार दुनू नेता के बीच भेल बैठक में निवेश, आधारभूत संरचना के विकास आओर पटना मेट्रो समेत कतेको मुद्दा पर विस्तृत बातचीत भेल।
एही बैठक के लेल सीएम नीतीश के संग पथ निर्माण मंत्री नंद किशोर यादव आओर दोसर विभागीय अधिकारिय सेहो छलाह।
मिडिया सूत्र के मुताबिक नीतीश कुमार क' जापान दौरा प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के तरफ सुझाया गेल छल जाहिक' बाकी औपचारिकता पीएमओ के पहल पर विदेश मंत्रालय पूरा केएलक।
अपन प्रेस कॉन्फ्रेंस में नीतीश कुमार मिडिया के सवालक' जवाब दैत कहने छलाह कि जापान दौरा पर हुंकार फोकस टेक्सटाइल जेहन श्रम प्रधान उद्योगों पर रहत। नीतीश कुमार कहला बिना कोनो ठोस परिणाम के होबा वाला इन्वेस्टर समिट के बदला गंभीर प्रयास करबाक आवश्यकता अछि।