दरभंगा केँ प्रख्यात स्त्री रोग विशेषज्ञ डॉ. सुनीति सिन्हा नहि रहली

दरभंगा। 06 फरवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा केँ प्रख्यात स्त्री रोग विशेषज्ञ डॉ. सुनीति सिन्हा नहि रहली। हुनकर निधन सँ कैल्हि सोम दिन पूरा चिकित्सा जगत मे शोकक लहर दौड़ परल। डॉ. सिन्हा इलाजक दौरान अललपट्टी स्थित एक निजी अस्पताल मे भोर पौने छह बजे अंतिम सांस लेली। ओ पछिला कैको दिन सँ बीमार छली।

डॉ. सिन्हाक निधन केर खबैर सुनते हुनकर अंतिम दर्शनक लेल हुनकर निवास पर चिकित्सक सभक अलावा आन लोग सभक भीड़ एकत्रित भ' गेल। सति स्थान स्थित श्मशान घाट मे हुनकर दाह संस्कार कायल गेल। एहि मौका पर हुनकर परिजन सभक अलावा रोटरी क्लब, दरभंगा केँ अध्यक्ष डॉ. गौड़ी शंकर झा, सचिव डॉ. हरि दामोदर सिंह, डॉ. राजेश द्विवेदी, ई. सतीश सिंह, ई. ए एन सिंह, संजीव गामी आदि मौजूद छलथि। रोटरी क्लब केँ अध्यक्ष डॉ. झा कहलनि कि दुःखक घड़ी मे ओ सभ शोकुल परिवारक संग छथि। डॉ. सुनीति सिन्हा के कमी कहियो पूरा नहि कायल जे सकैछ। 

अपने क' बता दी कि पछिला कैको दशक सँ डॉ. सिन्हा गायनी केर क्षेत्र मे महत्वपूर्ण योगदान क' रहल छलथि। डीएमसीएच केँ गायनी विभागाध्यक्ष केर पद सँ रिटायर बेलाक बाद ओ निजी प्रैक्टिस केर जरिए दूर-दूर सँ आबई बला मरीज सभक खून नीक आ सफल इलाज करैत छलथि। ऐहिक अलावा ओ कैको समाजिक संगठन सँ जुड़िकेँ मानवता केर सेवा मे सेहो सदिखन आगू रहैत छलथि।