सानया राज कहलनि कि मिथिलाक बेटी किनको सँ कम नहि छथि, चाहे ओ फैशन वर्ल्ड होय वा आन किछु। मुजफ्फरपुरक रहिवासी सानया मिस इंडिया केँ क्राउन जीत मिथिलांचल समेत पूरा बिहार आओर अप्पन परिवारक नाम रौशन करबाक इच्छा जाहिर केलनि। आगा ओ कहलनि कि मिस बिहार मे पार्टिसिपेट करब आओर क्राउन जीतना हमरा लेल बहुत अहम अछि।
अपने क' बता दी कि सानया 11वीं केँ छात्रा छथि आओर ओ सामाजिक काज सेहो करे चाहैत छथि। बिहारक बेटी सभक बारे मे हुनकर कहब अछि कि एहिठामक लड़की सभमे बहुत टैलेंट अछि। बस हुनका सभकेँ एक मंच चाही आओर परिवारक सपोर्ट चाही। ओहिक बाद बिहारक बेटि सभ दुनियां मे राज्य केँ नाम रौशन करती।