बामा हाथक ई स्पिनर ऑस्ट्रेलिया केर खिलाफ खिताबी मुकाबला मे 32 रन दैत दू विकेट लेलक। ऐहिक संगे अनुकूल राय 14 विकेटक संग सभसँ बेसी विकेट लेबै बला मे संयुक्त रूप सँ टॉप पर छथि। हुनकर एहि सफलता सँ हुनकर परिवार मे जश्न केर माहौल अछि। अनुकूल केँ बड़का भाई कहलनि कि अनुकूलक एहि सफलता सँ समस्तीपुर आओर मिथिलांचल समेत पूरा देश हुनका पर गर्व महसुस क' रहल अछि।
अपने क'बता दी कि अनुकूल राय टूर्नामेंट मे खेलल गेल छह मैच मे 127 रन द' कुल 14 विकेट लेलनि। हुनकर सभ ओवर सेहो बहुत किफायती रहल। ओ टूर्नामेंट मे 3.84 की इकोनॉमी रेट सँ 33 ओवर फेकला। अनुकूल केँ बदौलत भारतीय अंडर-19 क्रिकेट टीम आईसीसी वर्ल्ड कप अप्पन नाम क' लेना अछि। फाइनल मे टीम इंडिया ऑस्ट्रेलिया केँ 8 विकेट सँ शिकस्त देलक।