डाॅ. रविकीर्ति अतिथि सभक सत्कार सम्मान लेल अध्यक्ष विनोद शंकर, सचिव समीर, कोषाध्यक्ष अक्षय सहित तमाम ग्रामीण सभक आभार व्यक्त करैत कहलनि कि ग्रामीण क्षेत्र मे एहि तरहक आयोजन प्रसंसनीय अछि। ओतहि एल एन एम यू केँ इतिहास केँ विभागाध्यक्ष डॉ. अयोध्यानाथ झा सेहो आयोजन समितिक खूब प्रशंसा केलनि। ट्रस्ट संरक्षक अजय चेतन झा, अभिमंत कुमर, डॉ. काली प्रसाद कर्ण, भूषन आजाद, बसंत झा, प्रदीप झा, बैंकर्स श्री गोपाल झा समेत बहुतो रास अतिथि पुरस्कार समारोह मे उपस्थित छलथि।
अपने क' बता दी कि युगांतर ट्रस्ट, पटना केर तत्वावधान मे पंडित ताराकान्त झा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट, शिवनगर मैदान पर खेलल गेल। मिथिला कप 2018 केँ फाइनल मुकाबला मे ठिकहा सीतामढ़ी, यंग कल्ब दरभंगा टीम केँ 6 विकेट सँ पराजित करी खिताब पर कब्जा केलक। तीन वर्जन मैथिली, हिन्दी आओर अंग्रेजी मे भेल आक्टो पैडक संग भेल काॅमेन्ट्री संग चौका - छक्का पर आतिशबाजीक दर्शक सभ भरपूर मनोरंजन केलनि।
राष्ट्रगाण केँ बाद चाॅदीक सिक्का सँ भेल टाॅस मे दरभंगा बाजी मारैत पहिने बल्लेबाजी करबाक फैसला केलक मुदा जखन निर्धारित 20 ओवर मे आठ विकेट पर मात्र 116 रन बना ठिकहा, सीतामढ़ीक लेल आसान लक्ष्य द' गेंदबाजी लेल उतरल यंग टीम दरभंगा एहि क्षेत्र मे सेहो ठिकहा सीतामढ़ी टीमक समक्ष फिसड्डी साबित भेल। खचाखच 25000 सँ उपर भरल दर्शक सभक बीच खेलल गेल एहि मैच क' ठिकहा केँ बल्लेबाज संजीत एकतरफा बनबैत महज 11.3 ओवर मेँ 6 विकेट सँ जीत लेलक। संजीत केँ ताबड़-तोड़ बैटिंग लेल हुनका मैन आॅफ द मैचक पुरस्कारक रूप मे टेनिस क्रिकेट किट देल गेल। ओतहि ठिकहा केँ गेंदबाज गोलू राम केँ टूर्नामेंटक बेस्ट गेंदबाज, दरभंगा केँ कप्तान मणिशेखर केँ बेस्ट फील्डर आओर दरभंगा केँ बल्लेबाज अभय केँ बेस्ट बैट्समैनक रूप मे कैरमबोर्ड, कप आओर प्रशस्ति पत्र देल गेल।
पूरा टूर्नामेंट मे 111 रन 11 विकेट ल' ऑलराउण्ड प्रदर्शन करय बला दरभंगा केँ ऑलराउण्डर अभय केँ मैन ऑफ द सीरीज के रूप मे रेंजर साइकिल देल गेल। ऐहिक अलावा टूर्नामेंट केँ सफलता पूर्ववक संपन्न करेबा मे अप्पन अहम भूमिका निभाबई बला समिति केँ सदस्य विकास, मुरारी, रोहित, अजित, वामदेव, राहुल सहित 15 युवा केँ युगांतर ट्रस्ट दिस सँ ट्रैक सूट आओर एनआरआइ प्रवासी ग्रामीण प्रवीण चन्द्र कुमर दिस सँ पारितोषिक देल गेल। ओतहि शानदार अम्पायरिंग करी मिथिला कप केँ अलग पहिचान देनिहार अम्पायर द्वय शैलेन्द्र मिश्रा एवं चंदन झा आओर स्कोरर अजित वत्स केँ प्रशस्ति पत्र, कप आओर उपहार देल गेल।