नई दिल्ली। 01 जनवरी। देशक अधिकांश नागरिक सभकेँ अलग पहिचान नंबर डी' चुकल सरकार जल्दे कंपनी सभकेँ सेहो विशेष पहचान नंबर देत। वित्त मंत्री अरुण जेटली वित्त वर्ष 2018-19 केँ बजट पेश करैत ऐहिक घोषणा केलनि। यानि आब कंपनी सभकेँ सेहो आधार कार्ड बनबे पड़त।
वित्त मंत्री अरुण जेटली कहलनि कि सरकार सभ कंपनी केँ एक यूनीक आईडी देबाक लेल आधार कार्ड जोका एक योजना ल'केँ आयत। गौरतलब अछि कि सरकार केँ आधार केर जरिए सरकारी योजना सभमे भ्रष्टाचार आओर सब्सिडी लीकेज कम करबा मे मदति भेटल अछि। आब सरकार 'आधार कार्ड' केँ जरिए निजी कंपनी सभकेँ भ्रष्टाचार आओर फर्जी कंपनी सभ पर लगाम लगबे चाहैत अछि।
अपने क' बता दी कि सरकार पहिने तीन लाख सँ बेसीफर्जी कंपनी सभक लाइसेंस रद्द क' चुकल अछि। सरकार नोटबंदी केँ बाद सँ संदिग्ध गतिविधि सभमे संलिप्त मुखौटा कंपनी सभक खिलाफ बड़का कार्रवाई केना अछि।