अपने क' बता दी कि जमीन पर जबरन कब्जा करबाक आरोपक बाद आयल कोर्टक आदेशानुसार 33 लोगक खिलाफ दानापुर थाना मे एफआईआर दर्ज कराओल गेल अछि।
तेजस्वी यादव ट्वीटक माध्यम सँ कहलनि कि केंद्रीय मंत्री गिरिरीज सिंह द्वारा 2 एकड़ 56 डिसिमल जमीन पर जबरन कब्जा करबाक आरोप मे पटना व्यवहार न्यायालय केँ आदेशानुसार दानापुर थाना मे (कांड संख्या 54/2018) एफआईआर दर्ज कायल गेल अछि। एहेन मंत्रीक घर करोड़ों टाका कैश सेहो बरामद कायल गेल छल मुदा तैयो ओ ईमानदार छथि।
तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ सेहो सवाल केलनि आओर पुछलनि कि आब अहाँ इस्तीफा देब? नीतीश जी, अहाँक नाकक नीचा अहाँक दुलरुआ सहयोगी दल के वरिष्ठ नेता आओर केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह ने लगभग 3 एकड़ गरीबक जमीन पर जबरन कब्ज़ा क' लेना छथि।