ई कोनो एक्सप्रेस ट्रेन नहि, समस्तीपुर केँ आदर्श मध्य विद्यालय अछि

समस्तीपुर। 12 फरवरी। ऊपर केँ फोटो कोनो एक्सप्रेस वा सुपरफास्ट ट्रेनक नहि अछि बल्कि ई समस्तीपुर मे स्थित एक मिडिल स्कूल अछि। एहि स्कूल केँ आदर्श विद्यालय केर दर्जा प्राप्त अछि। स्कूलक देबाल पर ट्रेनक पेंटिंग कायल गेल अछि। नाम शिक्षा एक्सप्रेस देल गेल अछि। ऐहिक श्रेय स्कूलक हेडमास्टर रामप्रवेश ठाकुर केँ जायत अछि। 


हेडमास्टर राम प्रवेश ठाकुर कहलनि कि हुनका एक आलेख “बिहार की दीवारों पर अब रंग बोलते हैं..." सँ पेंटिंग केँ प्रेरणा भेटलनि। ओ स्थानीय कलाकार बसंत माझी केँ मददि लेलनि आओर पेंटिंग करबे लागलनि। स्कूलक नवा रंग रूप देख विद्यार्थि सभक स्कूलक प्रति आकर्षण बढ़ल अछि।

अपने क' बता दी कि एहि स्कूलक व्यवस्था सेहो बहुत बढ़िया अछि। एहि  शिक्षा एक्सप्रेस ल'केँ बच्चा सभक मानब अछि कि एहिठामक शिक्षा व्यवस्था सेहो एक एक्सप्रेस ट्रेन जोका अछि। स्कूल मे कुल 750 बच्चा बढ़ैत अछि आओर 4 शिक्षक छथि। स्कूल मे कुल 27 कमरा अछि आओर एहि स्कूलक स्थापना 1925 मे भेल अछि।