मधुबनी : फायर ब्रिगेडक कार्यालय लग जिंदा जरल एक वृद्ध, आगि बुझेबा मे नाकाम रहल दमकल कर्मी

मधुबनी। 02 फरवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] कियो पोखैर लग प्यासल मैर जाए, किनको सामना भोजक अछि आओर हुनकर मौत भ' जाए तेँ ऐहिकेँ कहब? एक एहने खबैर मधुबनी जिलाक झंझारपुर प्रखंड सँ आयल अछि। जते बेलाराही गामक वार्ड नंबर 15 निवासी एग वृद्ध केँ फायर ब्रिगेडक कार्यालय सँ कनिक दुरी पर जरला सँ मौत भ' गेल। 

झंझारपुर अनुमंडल केँ गेटक सामने खरक गोहाली मे मवेशी लेल जराओल गेल घूर सँ एकाएक घर मे आगि लाएग गेल। जाहिसँ ओतैय राखल गैस सिलेंडर सेहो आगिक चपेट मे आएब गेल आ फाएट गेल। एहि घटना सँ आगि आओर तेजी सँ अप्पन गति पकैर लेलक। एहि क्रम मे घरक भीतर आराम क' रहल वृद्ध गुदर कमती केँ आगिक चपेट मे अएला सँ मौत भ' गेल। आगिक चपेट मे आयल घर मे बान्हल कैको बकरी केँ सेहो नहि बचाओल जे सकल।  


सोचबाक बात ई अछि कि घटनास्थल सँ किछु डेगक दुरी पर फायर ब्रिगेडक कार्यालय अछि। जता फायर ब्रिगेडक गाड़ी सेहो ठाढ़ छल मुदा ओही गाड़ीक सामना एक जिंदगी कालक गाल मे समा गेल आओर कियो किछु नहि क' सकला। 

इम्हर घटनाक बाद मौका पर पहुंचल पुलिस यू डी केस दर्ज करी लाश केँ पोस्टमार्टम लेल भेज देलक। ओतैय दिन दहारे एक शख्स केँ जिंदा जरलाक घटना सँ पूरा इलाका मे सनसनी पसैर गेल अछि। संगहि प्रशासनक दिस सँ समय पर कार्यवाही नहि कायल गेल जाहिसँ लोग सभमे नाराजगी सेहो देखल जे रहल आछि।