ट्रेनक लेट होबैय के मामला में बिहारक स्थिति सबस खराब, गुजरातक ट्रेन चलैत अछि समय पर



दरभंगा : बिहारक स्टेशन स' फ़ुजैयत अछि या एतै स गुजरैय वाला ट्रेनक लेट होबैय के मामला में देश में सबस खराब स्थिति अछि। जखन कि गुजरात में लेटलतीफी सबस कम अछि। यी दावा ऑनलाइन ट्रेवल पोर्टल रेलयात्री केलैथ । पोर्टल के अनुसार बीतल दु साल में तीन राज्य उत्तराखंड, बिहार और केरल में रेलगाड़ि के लेटलतीफी में दहाई प्रतिशतांक की वृद्धि दर्ज कैल गेल अछि।

पोर्टलक अनुसार औसतन आधार पर 2017 में बिहारक लेल रेलगाड़ी में 104 मिनट क देरी दर्ज कैल गेल। याह देरी 2016 में 93 मिनट जखन की 2015 में 80 मिनट छल। बीतल तीन साल में रेलगाड़ी में औसत देरी में 30 प्रतिशतक बढोतरी भेल अछि।

रिपोर्ट में कहल गेल अछि कि अगर लेटलतीफी ऐही तरह स चलैत रहल त किछु साल में ऐही स्टेशन पर रेलगाड़ी के औसत देरी दू घंटा से  ज्यादा भ सकैत अछि। बिहारक अलावा गाड़ि के लेटलतीफी के लिहाज स शीर्ष पांच राज्य में उत्तर प्रदेश, पंजाब, गोवा और असम सेहो अछि। अध्ययनक अनुसार राष्ट्रीय आधार पर रेलगाड़ी के आवागमन में औसत विलंब 2017 में 53 मिनट रहल।