बिहार बोर्डक नव नियम जाहिसँ मैट्रिक परीक्षार्थी हेताह परेशान


पटना : बिहारमे शिक्षा-व्यवस्था कतेक धरि नीक छैक ई गप कतहु आ कउनो तरहेँ छूपल नहि अछि। खुलेआम चोरी, बच्चा राय सँ रूबी राय धरि नाम शिक्षाक क्षेत्रमे कतेक योगदान देलनि ई गप समूचा देश जनैत छैक। आब जखन 21 फरवरी सँ पूरा बिहारमे मैट्रिक केर परीक्षा होबय बला अछि आ एनामे बिहारबोर्ड कार्यालय समस्त परीक्षा देनिहार विद्यार्थी लेल एकटा नव कायदा लागू केलक अछि। 
वार्षिक आ माध्यमिक परीक्षा 2018 केर सम्बन्धमे बिहार विद्यालय परीक्षा समिति ई निर्देश जारी केलनि अछि जे अहि परीक्षामे भाग लेनिहार छात्र-छात्राकेँ परीक्षाक दिन जूत्ता आ मौजाक जगह मात्र चप्पल पहिरकय आबै पड़तैक। अहि मादे आनंद किशोर (अध्यक्ष : बिहार विद्यालय परीक्षा समिति) कहलनि जे परीक्षामे जूत्ता आ मौजा नहि पहिरबाक मादे निर्देश बिहार राज्यमे आयोजित अलग-अलग प्रतियोगिता परीक्षामे पहिनहियों सँ लागू कएल जाएत रहल अछि जेकरा अहि बरिखसँ वार्षिक माध्यमिक परीक्षामे सेहो लागू करबाक विचार कएल गेलैक अछि। 
समिति द्वारा अहि मादे सभ जिला शिक्षा पदाधिकारी, केंद्राधीक्षक, परीक्षार्थी आ अभिभावक लोकनि केँ निर्देश संगहि जानकारी कराओल जा रहल अछि। उल्लेखनीय अछि जे वार्षिक माध्यमिक परीक्षा, 2018 केर आयोजन एहिबेर राज्यक 1426 परीक्षा केंद्र पर दु-पालीमे 21 तारीखसँ 28 फरवरी धरि होयत जाहिमे 17 लाख 70 हजार परीक्षार्थी शामिल हेताह। अहि परीक्षाक वास्ते पटना जिलामे कुल 74 परीक्षा केंद्र बनाओल गेल अछि जाहिपर सेहो दु-पालीमे 82.50 हजार सँ बेसी विद्यार्थी भाग लेताह।