सहरसा : लापरवाह बैंक अधिकारी सभक विरुद्ध प्रतिवेदन भेजबाक निर्देश

सहरसा। 25 जनवरी। सहरसा। कैल्हि बुध दिन विकास भवन सभागार मे जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल केर अध्यक्षता मे जिला समन्वय समिति केर बैठक भेल। बैठक मे योजना सभक गहन समीक्षा करैत डीएम  गुंजियाल काज सभमे प्रगति आनबाक निर्देश देलनि। स्टूडेंट क्रेडिट कार्डक समीक्षा केर क्रम मे डीएम बैंक सभक क्रियाकलाप पर असंतोष प्रकट केलनि। ओ सभसँ खराब प्रदर्शनक लेल स्टेट बैंक आ बैंक आफ इंडिया केर  विरुद्ध बिहार विकास मिशन केँ लिखबाक बात केलनि। 

आगा ओ आर्थिक हल युवा सभक बल सँ संबंधित तीनो योजना सभक  समीक्षा करैत प्रखंड विकास पदाधिकारिव वरीय प्रभारी पदाधिकारि सभकेँ  कौशल विकास केन्द्र सभक जांच करबाक निर्देश देलनि। पक्की गली- नाली योजना सभक समीक्षाक क्रम मे डीएम फंड ट्रांसफर केर जानकारी लेलनि। ओ 31 जनवरी धरी सभ बीडीओ आओर वरीय प्रभारी केँ मुस्तैदी सँ फंड हस्तांतरित करबाक बात कहलनि आओर महादलित टोलाक प्राथमिकता केँ तौर पर योजनाक लेल चयन करबाक निर्देश देलनि। डीएम 15 जनवरी धरी स्थानांतरित आवास योगदान नहि देबै बला आवास सहायक सभक  वेतन स्थगित रखबाक सेहो निर्देश देलनि।