मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) करत क्रिकेट टूर्नामेंटक आयोजन
दरभंगा। 02 जनवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] मिथिला स्टूडेंट यूनियन अगामी 14 जनवरी 2018 सँ एक क्रिकेट टूर्नामेंटक आयोजन करे जे रहल अछि। ई टूर्नामेंट बिहार केँ क्रिकेटक इतिहास मे पहिल बेर होयत। ऐही टूर्नामेंटक सब मैच दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर आओर मुजफ्फरपुरक सोलह प्रखंड मे खेलल जायत। जाहि टूर्नामेंट मे मुख्य रूप सँ 64 टीम क' जगह भेटत।
एहि टूर्नामेंटक सेक्रेटरी राकेश चौधरी कहलनि कि वर्तमान मे बिहारक क्रिकेट अप्पन लचर स्तथि सँ गुजैर रहल अछि। यदि बिहार क्रिकेट एसोसिएशनक दिस सँ कोनो टूर्नामेंटक आयोजन कैलो जायत अछि तेँ ओहिमे ग्रामीण स्तरक खेलाड़ी सभकेँ मौका नहि भेट पाबैत अछि। एहि सभकेँ देखैत मिथिला स्टूडेंट्स यूनियन ई पहल केना अछि। यूनियन अप्पन एहि प्रयास सँ ग्रामीण स्तरक खेलाड़ी सभक प्रतिभा क' निखारबाक लेल बिहार क्रिकेट क' एक नवा आयाम पर पहुचेबाक पूर्ण कोशिस क' रहल अछि।