दरभंगा मे ठंड तोड़लक 55 बरखक रिकॉर्ड, जिला प्रशासन मंगलक 2500 कंबल

दरभंगा। 11 जनवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा सहित सगर मिथिलांचल मे ठंड केर कहर जारी अछि। कैल्हि 10 जनवरीक राति छह दशकक नया इतिहास बनेलक, पछिला 55 बरख मे एतेक ठंड कहियो नहि पड़ल छल। मौसम विभाग केर मानी तेँ 10 सँ 14 जनवरीक बीच न्यूनतम तापमान तीन डिग्री सँ नीचा जे सकैछ आओर हवा दस किमी प्रतिघंटाक रफ्तार सँ चैल सकैछ। 

पछिला दू दिन मे ठंडक तेवर किछु बेसिये देखार द' रहल अछि। पूरा दिन अन्हार रहैत अछि। तापमान मे गिरावट ल'के ठंड बहुत बढ़ल जे रहल अछि। ठंडक कारण सँ बाजारक चहल-पहल सेहो गायब अछि। ऐहिक असर सीधा कारोबार पर देखल जे रहल अछि। शीतलहरीक कारण पूरा  दिन आसमान मे बादल छाओल रहैत अछि आओर लोग सभ ठंढक कहर सँ बचबाक लेल सबेर सकाल अप्पन काम - काज घर मे दुबकल रहैत अछि। स्थिति एहेन अछि कि दिन मे सेहो वाहन चालक सभ वाहनक रोशनी जड़ा वाहन चलबैत अछि।

सभकेँ सभ ट्रेन देरी सँ चैल रहल अछि। यात्री सभकेँ घंटों ट्रेनक इंतजार मे एहि ठंढ मे प्लेटफॉर्म पर समय बीतबे पड़ैत अछि। ठंडक कहर केँ देखैत  दरभंगाक जिलाधिकारी चंद्रशेखर 2500 कंबल केर खरीदारी करैत जरुरतमंद सभक बीच वितरण करबाक निर्देश देना छथि। संगहि जिलाक सभ सरकारी आओर गैरसरकारी स्कूल सभकेँ 12 जनवरी धरी बंद राखबाक आदेश देना छथि।