सत्येंद्र कुशवाहा पटना सिटी केर रहिवासी छलाह। ओ भाजपा केँ विधान पार्षद सहित उत्तर प्रदेश भाजपा केँ सह प्रभारी सेहो छलाह। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कुशवाहा केरनिधन शोक संवेदना व्यक्त केलनि। मुख्यमंत्री अप्पन शोक संदेश मे कहलनि कि ओ एक कुशल राजनेता एवं कर्मठ समाजसेवी छलाह। हुनकर निधन सँ नहि सिर्फ राजनीतिक बल्कि सामाजिक क्षेत्र मे सेहो अपूरणीय क्षति भेल अछि।
हुनकर निधन से पार्टी मे शोेकक लहर दौड़ गेल अछि। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी हुनकर निधन पर शोक व्यक्त करैत ऐहिकेँ पार्टीक अपूरणीय क्षति बतौलनि। कुशवाहा केर पार्थिव शरीर आय भोर 11.30 मे भाजपा कार्यालय लाओल गेल, जता भाजपा नेता आओर कार्यकर्ता सभ हुनकर अंतिम दर्शन केलनि।
बिहार बीजेपी केँ प्रेसिडेंट नित्यानंद राय कहलनि कि बिहार विधान परिषद् केँ सदस्य सत्येंद्र कुशवाहा पार्टीक कर्मठ, जुझारू नेता छलाह। हुनकर निधन पार्टीक लेल अपूरणीय क्षति अछि।