मधेपुरा : 8 बरख मे सेहो शुरू नहि भेल 'रेल स्लीपर फैक्ट्री', करोड़ों टाकाक मशीन मे लागि रहल अछि जंग

मधेपुरा। 11 जनवरी। कैको बरख पहिने करोड़ों टाकाक लागत सँ तैयार रेल स्लीपर कारखाना आय धरी शुरु नहि भेल अछि। स्थिति एहेन अछि कि कारखाना मे लागल मशीन केँ आब जंग खा रहल अछि। बरख 2009 मे तत्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव जिला मे रेल स्लीपर कारखानाक शिलान्यास केना रहथिन।

एहि रेल स्लीपर कारखाना केर शुरुआत भेल आठ बरख बीत गेल मुदा आय धरी कारखाना मे निर्माण काजक शुरुआत नहि भ' सकल। लालू प्रसादक रेल मंत्रीक कार्यकाल मे शिलान्यास भेल एहि कारखानाक मकसद एहि इलाकाक युवा सभके रोजगार देब आओर मजदुर सभक पलायन केँ रोकब छल। मुदा अफसोस एहि बातक अछि कि आठ बरख बितलाक बादो ई रेल स्लीपर कारखाना अप्पन मकसद मे कामयाब नहि भ' सकल।