दरभंगा। 24 जनवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा ज़िलाक हायाघाट प्रखंड स्थित बसहा मिर्ज़ापुर गाम मे एकलव्य सरस्वती पूजा समिति केर तत्वावधान मे राम जानकी मंदिरक प्रांगण मे सरस्वती पूजाक आयोजन हर बरखक भांति एहि बरख सेहो खूब धूम धाम सँ कायल गेल।
एहि बेरक पूजा मे 2017 केँ मैट्रिक परीक्षा मे प्रथम श्रेणी सँ उत्तीर्ण बसहा, बिशनपुर आओर भगवानपुर गामक कूल 33 छात्र - छात्रा सभकेँ चांदीक एक मेडल द' प्रोत्साहित कायल गेल। मेडल प्रदान करबाक ई परम्परा पछिला 4 बरख सँ चैल रहल अछि जे बहुत प्रशंसीय डेग अछि। एहि तरहक आयोजन सँ बच्चा सभमें पढ़बाक प्रति रूचि बढ़ैत अछि।
बच्चा सभकेँ मेडल प्रदान करैत मिर्जापुर पंचायतक वरिष्ठ नागरिक राम सुरेश चौधरी, दिनेश चौधरी, जटाशंकर चौधरी, राजीव चौधरी, सुभाष चौधरी, सूर्यनारायण चौधरी, कुशकेतु मिश्र, रणधीर चौधरी, चंदन मिश्र, प्रज्ञा लता एवं उमा माधवी आदि लोकनि छात्र छात्रा सभकेँ प्रोत्साहित केलनि।
पूरा मिर्जापुर पंचायत मे प्रथम श्रेणी मे सभसँ बेसी प्राप्तांक बला विद्यार्थी मे छात्रा निशा कुमारी एवं छात्र हिमांशु भास्कर, राहुल चौधरी केँ प्रोत्साहन राशि सँ सेहो सम्मानित कैल गेल। ऐही पूरा आयोजन मे पूजा समितिक सहयोग समस्त ग्रामवासी नीक ढंग सँ संचालित करै मे केलनि आओर पूजाक अंतर्गत प्रोत्साहन कार्यक्रमक सफल बनेलनि। कैल्हि सांझ बड़ा धूम धाम सँ जुलूसक संग माता सरस्वती केँ प्रतिमाक विसर्जन कायल गेल।
एहि आयोजन केँ मुख्य आयोजक मुकेश, शिशिर, कुंदन, अविनाश, सूरज, दिवेश, सुनील, नंदन , रीतेश, पंकज, गौतम आओर भाजपा मंडल अध्यक्ष राजेश कुमार चौधरी छलथि।