मधुबनी। 24 जनवरी। [विनोद शंकर झा लड्डू] युगांतर ट्रस्ट, पटना केर तत्वावधान मे पंडित ताराकान्त झा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट, शिवनगर मैदान पर खेलल गेल। मिथिला कप 2018 केँ सातम लीग मैच मे कैल्हि जायका एलेवन, मधुबनी आॅक्सी ब्लू, माधोपुर केँ 4 विकेट सँ पराजित केलक।टाॅस जीत पहिने बल्लेबाजी करैत आक्सी ब्लू माधोपुर 19.3 ओवर मे 127 रनक लक्ष्य राखलक जाहिमे प्रभात बल्लेबाज सर्वाधिक 33 रनक योगदान केलक। बल्लेबाजी करे उतरल जायका एलेवन टीम पहिने खराब शुरुआत केलक आओर टीमक लागातार एक केँ बाद एक विकेट गिरैत रहल। जायका केँ बल्लेबाज राहुल धैर्य आओर संघर्षपूर्ण बल्लेबाजी करैत अप्पन टीम केँ 4 विकेट सँ जीत दिएलक।
कैल्हिक पुरस्कार वितरण समारोह केँ अतिथि नवचर्चित युवा मैथिल कवि कमलेश प्रेमन्द्र मैन ऑफ द मैचक पुरस्कार बल्ला आओर प्रशस्ति पत्र विजेता टीमक राहुल केँ देलनि। अपने क' बता दी कि कवि कमलेश प्रेमन्द्र मैचक दौरान जलपानक क्रम मे अप्पन कविता सुना दर्शक सभकेँ लोट पोट क' देना रहथिन। सांत्वना पुरस्कार उपविजेता रहल आॅक्सी ब्लू माधोपुर केँ कप्तान विक्की केँ शाहपुर पंचायत पैक्स अध्यक्ष काशीनाथ झा मंगल देलनि। टूर्नामेंटक अध्यक्ष विनोद शंकर झा लड्डू समस्त अतिथि आओर दुनू टीम केँ, कमिटी सदस्य समीर मोनू, अजित, शैलेन्द्र कुमार मिश्र, चंदन, मुरारी, दीपक, अक्षय आनंद सन्नी, विकास आदि लोकनि केँ सहयोग करबाक लेल धन्यवाद देलनि।
युगान्तर ट्रस्ट द्वारा प्रायोजित मिथिला कप- 2018 - लीग मैच स्कोर विवरण;
सातम लीग मैच
जायका XI, मधुबनी vs आॅक्सी ब्लू, माधोपुर
टाॅस - माधोपुर (बल्लेबाजी)
माधोपुर - 127/10 (19.3 ओवर)
जायका- 133/6 (17.3 ओवर)
परिणाम - जायका 4 विकेट सँ विजयी
मैन ऑफ द मैच - राहुल, जायका (47 रन)