प्राप्त खबैर केर मुताबिक जिलाक राजनगर थाना क्षेत्रक चिचरी परीयानी पोखर टोला लग आज्ञात लोग सभ एक 11 बरखक मासूम संग दुष्कर्म करी हुनका छुरा मारी सड़क कात फेंक देलक। बच्ची अस्पताल मे दम तोएड़ देली।
कैल्हि मंगल दिन देर सांझ सरस्वती मूर्तीक विसर्जन करी वापस आबैत काल बच्चा सभ लहू-लूहान अवस्था मे बच्ची केँ देखलक, आनन-फानन मे स्थानीय लोग सभ बच्ची केँ राजनगर पीएचसी पहुँचेलक, जता इलाजक क्रम मे हुनकर मौत भ' गेल।
एहि घटनाक सूचना भेटते थाना अध्यक्ष रूपक रंजन सिंह घटनास्थल पहुंच घटनाक जानकारी लेलनि। पुलिस घटनाक छानबीन क' रहल अछि। पुलिसक छानबीन मे एक खून सँ सनल सुतरीक बोरा बिछाओल आओर दू जोड़ी चप्पल भेटल अछि। एहि घटना सँ लोग सभमे दहशत बनल अछि। पुलिस शव केँ पोस्टमार्टम लेल मधुबनी भेज देलक।