अपने क' बता दी कि नजीबाबाद - मुरादाबादक बीच बुंदकी स्टेशन लग एक पुल लगभग 100 बरख सँ बेसी पुराना छल आओर ओकर हालत खस्ता भ' चुकल छल। एहि पर काज करैत रेलवे केर इंजीनियरिंग विभाग महज 7 घंटा 20 मिनट मे नया पुल तैयार क' देलक जाहिक चर्चा चहुओर भ' रहल अछि।
मंडल रेल प्रबंधक अजय कुमार सिंघल कहलनि कि एहि पुरान आओर जर्जर भ' चुकल पुल क' तोड़लाक बाद रेलवे केर इंजीनियरिंग विभाग ऐहिक नवनिर्माण महज़ 7 घंटा 20 मिनट मे क' देलक। बुंदकी स्टेशन लग डाउन लाइनक पुल सौ बरख सँ बेसी पुराना आओर जर्जर भ' चुकल छल जाहिकेँ रेलवे एक दम नवा क' देना अछि।
आगा ओ कहलनि कि दुपहर 3.05 बजे तक पुलक ढांचा तैयार करीकेँ राखी देल गेल छल आओर 7 घंटा 20 मिनट मे (सांझ 5.15 बजे) तक नवनिर्माण काज पूरा क' लेल गेल। जखन पूरा तरहे पुलक निर्माण भ' गेल तँ सांझ 5:40 बजे देहरादून सँ इलाहाबाद जाय बला लिंक एक्सप्रेस क' ऐहिक ऊपर सँ निकालल गेल। ऐहिक बाद ट्रेन नवा पुल पर सँ गुजरल।