घोघरडीहा गामक अंजु कुमारी पति प्रेमचंद्र झा गाव घोघरडीहा कैल्हि प्रेस कोंफ्रेसक माध्यम सँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ न्यायक लेल गुहार लगबैत कहली कि हुंकार पति प्रेमचंद्र झा बेकसूर छथि आओर राजनीति करीकें हुनका फसाओल जे रहल अछि। अंजु कुमारी आगा कहली कि हुनकर पति रोज कमाबैत छथि जाहिसँ हुनकर घर चलैत अछि, घर मे दोसर कियो नहि कमाबैत अछि जाहिसँ आमदनीक कोनो आन श्रोत हुवे। बच्चा सभ छोट - छोट अछि, केस मे नाम अएलाक कारण हमरा सभक जिनगी नारकीय भ' गेल अछि, हमरा सभकेँ एहेन गलतीक सजा देल जे रहल अछि जे गलती हमर पति करबे नहि केना छथि।
अंजु कुमारी कहली कि हम सभ जिलाक एस'पी सहित सभ वरीय पदाधिकारी सभसँ न्यायक गुहार लगेलहुँ, जांच कायल जाय आओर यदि जांच मे हमर पति दोषी पाओल जायत छथि तेँ हुनका सजा भेटा, जाधरी जांच पूरा नहि होयत अछि घोघरडीहा थाना हमरा सभकेँ चैन सँ जीबे दिया। अंजु कुमारी घोघरडीहा थाना प्रभारी पर संगीन आरोप लगबैत कहली कि थाना प्रभारी टाका ल'क' हमर पति क' बलिक बकरा बनेबा पर उतारू छथि, जखनकि हमर पति निर्दोष छथि।