जदयू केँ राष्ट्रीय महासचिव संजय कुमार झा सिद्धपीठ वाणेश्वरी स्थान लेल बिहार सरकारक पर्यटन मंत्री आओर पर्यटन सचिव क' भेजलनि पाती

दरभंगा। 06 जनवरी। दरभंगा जिलाक अंतर्गत मनीगाछी प्रखंडक भंडारीसम - मकरंदा गाम स्थित मिथिलांचलक प्रसिद्ध सिद्धपीठ माँ वाणेश्वरी भगवती स्थान मिथिलांचलक प्रसिद्ध सिद्धपीठ होयबाक कारण सँ एहिठाम दूर- दराज सँ लाखो केर संख्या मे दर्शनार्थी आबैत अछि संगहि राम नवमी केर अवसर पर होमै बला वाणेश्वरी महोत्सवक आयोजन मे लाखो केर तादात मे लोग सभ एहिठाम पहुंचैत अछि। 

अपने क' बता दी प्राचीन आओर धार्मिक माँ वाणेश्वरी भगवती स्थानक  विकास लेल पर्यटन विभाग बिहार सरकार सँ एक करोड़ टाका सेहो स्वीकृत कायल गेल अछि। अतः प्रसिद्ध शक्तिपीठ माँ बाणेश्वरी भगवती स्थान केँ पर्यटन क्षेत्र घोषित करबाक लेल, विकसित करबाक उचित दिशा निर्देश संबंधित पदाधिकारी सभकेँ कृपा करबाक चाही। 

दिनांक 27/09/2017 क' दुर्गा पूजा केर अवसर पर वाणेश्वरी भगवती स्थान मे पूजा अर्चना करे पहुंचल जदयु केँ राष्ट्रीय महासचिव बिहार राज्य योजना परिषद केर सदस्य श्री संजय कुमार झा क' स्थानीय लोग सभ आओर समाचार पत्रक संवाददाता सभ जखन राजकीय महोत्सव केर  दर्जा दिएबाक संबंधित सरकारक घोषणा दिस ध्यान आकर्षित करौलनि तेँ श्री झा 2018 मे आयोजित होमै बला  राजकीय महोत्सव सरकारक माध्यम सँ करेबाक आश्वासन देना रहथिन। एहि काजकेँ प्रगति मे आनबाक लेल माननीय श्री संजय झा जीक आभार प्रकट करैत जदयू शिक्षक प्रकोष्ठ के वरीय प्रदेश उपाध्यक्ष डॉ राम मोहन झा सामाजिक कार्यकर्ता संजीव कुमार झा कहलनि कि एहि काजक लेल लाखो श्रद्धालु अपनेक आभारी रहत।